मैथिली समाचार लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
मैथिली समाचार लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शनिवार, 2 अगस्त 2025

पद्म भूषण स्वर कोकिला शारदा सिन्हा - मिथिलाक दुल्लरि बेटी

 

शारदा सिन्हा जीक जन्म 01 अक्टूबर 1952 ई. क' बिहारक सुपौल जिलाक राघोपुर प्रखंडक हुलास गाँवमे एक भूमिहार परिवारमे भेल छलन्हि। हिनक पिताजीक नाम स्व.सुखदेव ठाकुर छलन्हि आ इ नौ भाइ बहिनमे असगर दुल्लरि बेटी छलीह। हिनकर सासुर बेगूसराय जिलाक सिहमा गाँव (जे पहिने मुंगेर जिलामे पड़ैत छल ) भेलन्हि। हिनकर पतिक नाम स्व. ब्रजकिशोर सिन्हा आ एकटा बेटा श्री अंशुमान सिन्हा आ एकटा बेटी श्रीमती वंदना सिन्हा छथि।

प्रतापगढ़ हाई स्कूलक श्री राम चंद्र झा जी हिनकर पहिल क्लासिकल संगीत गुरु छलखिन। दोसर गुरु छलखिन्ह पंडित रघु झा जिनकासँ  शास्त्रीए  संगीतक शिक्षा भेटलन्हि। तकरबाद क्रमबद्ध पंडित सीताराम हरिडाकर तकरबाद श्री पन्ना देवी इत्यादि रहलखिन्ह। 

बिना रिकॉर्डिंग पहिल गीत जेना शारदा जीक स्मरण छलन्हि ---सरस्वती वंदना -- जय जगदीश्वरि मातु सरस्वती शरणागत अति पालनहारि --- शीश मुकुट गले माला धारी। अपना भाएक वियाहमे पहिल मैथिली गीत जे गउने रहथि छल ---- द्वारिके छेकाई ने पहिने चूकै यौ दुलरुआ भैया-- तब जै ह’ कोहबर अपन यौ दुलरुआ भैया -------ससुर के कमाई देलहा बहिनि के दियौ यौ--- तब दिह अपन कमाई यौ दुलरुआ भैया .........

हिनकर द्विरागमन के दिन हिनक पिताजी दुखिए मन सँ कहलन्हि जे एकटा गीत सुनाउ --- तँ हुनका परिवारक सभ लोक एकत्रित भेल ओहिदिन अपन परिवारक लोककेँ गीत सुनौलन्हि -----निमिया तले डोला रख दे मोसाफिर सावन की आई वहार रे -- निमिया कहे -------अम्मा कहे बेटी निसदिन अइ --- बाबुल कहे छठि मास रे -- भैया कहे बहिनी अवसर पर अइ --- भावी कहे क्या है काम रे ---- निमिया कहे ----

दोसर गीत छल----बड़ रे जतन  सँ हम सीया धिया पोसलहुँ --- सेहो धिया राम नेने जाए -- आगू आगू राम चंद्र -- पाछू पाछू डोलिया -- तै पाछू लक्ष्मण दिअर


मंच
पर गीत गायब तँ ओहि समयमे सबकेँ पसिन नहि रहैक शिकायतक बात भेल, लेकिन ओहो अपने धुनमे रहथि जे किछ होइ मुदा गीत तँ हम गेबे करबै। पूर्ण मर्यादित रहलीह। मंच पर कोना बैसब, कोन गीत गेबाक छैक, कोन नञि, एहि सभक मर्यादाकेँ ध्यान रखैत गीतक चुनाव करैत  छलीह। ।  पहिरब ओढ़ब इत्यादि। कुमारियोमे    गीत गाबथि तखनो शिकायत ' पड़ल  रहन्हि।  लोक कहय --- ठाकुर जीकेँ बेटी स्टेज पर केना गौती ! बाबूजी हिनक बड्ड दूरदर्शी रहथि, कहलन्हि जखन ओकरा रूचि छैक तँ  गेतैक ओहिमे की ' गेलैक। जिनका लाज लगैत होइन्ह घरमे बैसथि।  एहि सभसँ हुनका बल भेटल छल।

बाल्येकालहि सँ हिनका संगीत सँ अत्यधिक रुचि रहन्हि। अपन मधुर आवाज सँ सभक मनकेँ मोहि लैत रहथि। पढ़ाईक मध्य हुनकर मित्र लोकनि हिनक सेहो बड्ड प्रेरित केलकन्हि। सब मिलि हिनका संगीतमे आगा बढ़बाक लेल सेहो खूब उत्साहित कयलन्हि। एहन तरहक सलाह हिनका स्वयं गीत संगीतक प्रति सिनेह अंततः एकटा प्रसिद्ध गायिका बनयबाक मार्ग देखबैत रहल। सहित्यक पढ़ाई लिखाइक बाद शारदा जी अपन गीत संगीतक जुनूनकेँ निखरबाक निर्णय लेलन्हि। दरभंगाक ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय सँ संगीतमे डॉक्टरेटक उपाधि प्राप्त कयलन्हि लोक गायिकक रुपमे अपन एकटा ससक्त पहिचान बनौलन्हि। समय बितैत गेल, हिनक स्वरकेँ भारतक फिल्म इंडस्ट्री मे सेहो पसिन होमय लगलन्हि तकर परिणाम भेलैक जे फिल्म इत्यादिमे गीत गेबाक सेहो अवसर भेटलन्हि।

हरिमोहन झाक लेल हिनकर पहिल इंटरव्यू 1980 ई. मे मिथिला मिहिरमे प्रकाशित भेल रहन्हि। ओहि समयमे एकटा कार्यक्रममे कतेक आग्रह भेल रहै --- जगदम्बा घरमे दियरा बारि अयलहुँ हे -------जाहिमे आयोजक हिनका सभसँ अन्तमे मौका देलखिन तहिया नहि बुझि सकल रहथि जे हमरा सुनबा लेल लोक बैसल अछि।  हिनका होइन्ह जे हमरा अवसर नही भेट रहल अछि, जल्दी अवसर भेटैत तँ आर बेसीकाल धरि गीत गाबि सकितहुँ।

शारदा सिन्हाक पहिल रिकॉर्डिंगक कहानी संकल्प, असफलता, सफलता, संघर्ष संयोग सँ भेल। 'रिकॉर्ड दिस आर्टिस्ट' अंग्रेजीक तीन शब्द गूंजल   शारदा सिन्हाक - जिंदगी नव रस्ता पर चलि पड़ल, एकदम नीक सुरताल पर। हिज़ मास्टर वॉयस (एच.एम.वी.) हिनक आवाजकेँ खनकैत गमकैत गलाक अपन  मास्टर वॉयसमे शामिल ' लेलक लोक संगीतक रसिया मानि लेलक 'हर मास्टर वॉयस' हिनकर एहि नव यात्राक गवाह बनल अवधक शहर लखनऊ। एच. एम. वी. सन् 1971 नवंबर मासमे टेलेंट सर्च प्रोग्राम केलक। जकर विज्ञापन डॉ. सिन्हा अखबारमे देखलन्हि तँ अपन पत्नीकेँ ' लखनऊ गेलाह। ओहि समय हिंदुस्तानक सबसँ नामी कंपनीक स्टूडियोक बाहर स्वर परीक्षाक लेल ठाढ़ छलीह, मुदा तहिया संगीतकें प्रोफेशन बनेबाक विषयमे नहि सोचने छलीह। एचएमवी टैलेंट हंटमेभाग लेलाक बाद शारदा सिन्हाकेँ एचएमवीक संग गीत गेबाक पहिल मौका भेटलन्हि। भक्ति गीतसँ  सँ हिनका नीक प्रसिद्धि भेटलन्हि।  1989 मे  एच एम वी कैसेट के तरफ सँ बेस्ट आर्टिस्ट ऑफ़ ईयरक अवार्ड भेटल छलन्हि।

शारदा सिन्हा जी बॉलीवुडक फिल्म - 1989 . मे 'मैंने प्यार किया' मे ---- कहे तो से सजना ये तोहरी सजनिया --पग पग लिए जाऊं तोहरि बलैयाँ ---  . 1994 मे 'हम आपके हैं कौन' गीत -- बाबुल जो तुमने सिखाया --जो तुम से पाया सजन घर ले चली  --- साजन घर मैं चली   2012 . मे  'गैंग ऑफ़ बासेपुर' गीत --- तार बिजली से पतले हमारे पिया - रे सासू बता तूने ये क्या किया -- मे अपन आवाजक जादू बिखेरने छथि सभ गीत खुब चलल   शारदा सिन्हा जीकेँ संगीतमे योगदानक वास्ते 1991 ई.  मे पद्म श्री पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेलन्हि। हिनका गीतमे योगदानक वास्ते 2000 ई. मे संगीत नाटक अकादमी  पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेलन्हि। संगहि  2018  ई. मे गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्या पर भारतक तेसर सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार पद्म भूषण सँ सम्मानित कएल गेलन्हि।

लोक संस्कृति तँ बड्ड पैघ चीज छै --- लोक संगीत बिना शारदा सिन्हाकेँ नाम सँ पूर्ण नञि ' सकैया, खास ' बिहार मिथिला क्षेत्रमे। बेसी संघर्ष केलाक बाद एतेक नाम कमा सकलीह, पहिने ने सोशल मिडिया छलैक ने एतेक सुबिधा।  बिना रियाज साधनाक सब संभव नञि छै।  एकटा संगीतक साधिका रहथि। हिनक ससुरकें गीत -संगीत सँ बड्ड अधिक प्रेम छलन्हि ततबे सासुकें पसिन नञि, मुदा जखन बाहरक लोक सब सँ  जखन पता चललन्हि जे शारदा जीक स्वरक गीत लोक बड्ड पसिन ' रहल छन्हि तँ फेर बड़ बेस। पतिक संग संग दिअर परिवारक सेहो सहयोग भेटलन्हि। 

घोघ मे नुकायल महिलाकेँ शारदा सिन्हाक सन्देश - घोघ तँ मोन सँ होइ छै, हम अपना मोनमे  लोकाचार, लोका - लौकिक हम अपना मोनमे रखै छी ह्रदय सँ  इज्जत करैत छी अपना पैघ छोटके तँ घोघमे रहबाक कोन प्रयोजन ? घोघमे रहि ' भीतर दिल सँ लोक प्रति सोच नै ठीक अछि तँ कोनो फायदा नहि।  सभमे किछ नञि किछ प्रतिभा रहिते छन्हि अपन प्रतिभाकेँ निखारबाक प्रयास करथि।  कतेको मनपसंद गीतमे सँ  -- बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी-------हमर सब सँ पैघ सम्मान अछि हमर श्रोता दर्शक जे हमर गीतकेँ पसिन करैत छथि सुनै छथि

एक बेर अपना भाई संग कनेक टा झगड़ा सेहो ' गेलन्हि तहिया मैथिलीमे दाईक नीकसँ अर्थ नहि बुझैत रहथि जे बहिनकेँ लोक सेहो कहैत छैक जे दाई कने एमहर आउ। ताहि पर रुसि गेल रहथि। एकटा मैथिलीक गोसाउनिक गीतकेँ रिकॉर्डिंग तक करबाक लेल म्यूजिक कंपनी तैयार नञि छल ओकरा कतेक बुझा ' कहलनि जे यदि गीत नञि चलत तँ आहाँक लागत मूल्य हमरा जेना पार लागत हम वापिस ' देब।  गीत छल -----

जय जय भैरव असुर-भयाउनि, पसुपति-भामिनि माया। सहज सुमति बर दिअ हे गोसाउनि अनुगति गति तुअ पाया॥

छठिक गीत पर हमरा ततेक ने आशीर्वाद भेटल अछि जे हम अभिभूत छी।  सोना सठकोनिया हो दीनानाथ हे घुमै संसार -----आन दिन उगे हो दिना, नाथ आहे भोर भिनसर आहे भोर भिनसर  आजुके दिनमा हो दीनानाथ हे लागल एतेदेर -------- छैठक गीत होइ की समा चकेबाक गीत होइ वियाहक गीत होइ आकि दोसर पारम्परिक गीत होइ कोनो विधाक गीत हिनका सँ बाँचल नञि अछि। हुनकर पूरा बिहारवासी सँ एकटा अपील छलन्हि जे नीक गीत लिखू नीक कम्पोज करू जाहि सँ समाजमे एकटा मैसेज जाइक। आहाँमे अगर गुण अछि तँ आहाँ अबस्से लोक द्वारा पसिन कएल जाएब। 

मातृभाषा मैथिलीके विस्तार करबाक लेल छोट छोट त्रुटि पर ध्यान नञि ' ओकरा विस्तार केना बेसी कएल जाए ताहि पर ध्यान देबाक आवश्यकता छैक। बाबा---बाबा पुकारे बाबो नहो बोलल हे --- माय हे बाबा भेलनि धन लोभित-- धनहि लोभायल हे---- माय हे चुटकी सिनुरबा के आधीन नैहर जुलुम भेल हे--- सखि फूल लोढ़’ चलु फुलबरिया सीताकेँ संग सहेलिया-----

एकटा  बड्ड फेमस गीत जे प्रायः भौजी सभकेँ बेसी पसिन हेतन्हि ----उजर बगुला बिन पिपरो सोभे -- कोयल बिनु बगिया ना सोभे राजा --- भाई भतीजा बिनु नहिरो सोभे --- देवर बिनु अंगना ना सोभे राजा

पटना के घाट पर हमहूं अरघीया देहब हे छठि मइया----शानदार साड़ी, माथ पर गोल लाल बिंदी, गलामे नमहर माला आ चेहरा पर मुस्कान। शारदा सिन्हाक ख्याल अबिते इ सबटा बात स्वतः संस्मरणमे  आबि जाएत छैक। हिनका साड़ीक बड्ड शौख छल। दिल्लीक एम्समे अंतिम समय तक बिंदी  हिनकर माथक शोभा बढ़बैत रहल। अस्पतालमे ऑक्सीजनक सपोर्ट पर सेहो वो  रियाज केलन्हि। आ तकर वीडियो सेहो शेयर कएने छलीह। वो स्वयं बेगम अख्तर आ लता मंगेशकरक गीत सबहुँकेँ खूब पसँद करैत छलीह।

कोविडक समयमे  जखन अस्पतालमे रहथि तँ लता जीक दर्द भरल गीत अपन आवाजमे रिकॉर्ड सेहो कएने छलीह - यूं हसरतों के दाग... मुहब्बत में धो लिए... यूं दिल से दिल की बात कहीं और रो लिए। शारदा सिन्हा आब नहि  रहली।  हुनकर खनकैत आवाज जे सिहरन पैदा करैत छल ... आब चुप भ' गेलीह मुदा वो जे  गीतक खजाना द' गेलीह ... से अनमोल धरोहर अछि आ चिरकाल धरि रहत। पटनाक घाट पर हिनकर अंतिम संस्कार भेलन्हि। आ एक दिस हिनकर गीत सँ छठि पुजा अर्चना होइत रहल आ दोसर दिस इ पंचतत्वमे। फेर हुनकहि छठिक गीत सब याद आबि रहल - पटना के घाट पर हमहूं अरगिया देहब हे छठि मइया... हम न जाइब दूसर घाट... देखब हे छठि मइया।

एहि सबसँ आर बेसी ख्याति भेटलन्हि। अपन आवजसँ मैथिली - भोजपुरी आन भाषाक लोक गीत खूब गौलन्हि लोक संगीतक समृद्ध परम्पराकेँ खूब आगा बढ़ौलन्हि। एहि बातक विशेष ध्यान रखलीह कि कहियो घटिया द्विअर्थी गीत कहियो नै गौलीह।


अगिला जन्ममे सेहो शारदा सिन्हा बनी
---वर्ष 2016 मे पटनामे जागरण फिल्म फेस्टिवलक मंच पर वो अपना जीवनक कएटा संस्मरण साझा केलन्हि। वो कहलीह कि जखन मायकामे  पहिल बेर मंच पर गेलौं तँ गांवक लोक एकरा बिरादरीक अपमान बतौलन्हि मुदा हमर पिता आ घरक अन्य लोक एकर समर्थन केलक। एहिना सासुरमे साउस सेहो मंचीय कार्यक्रम सभसँ नाखुश रहैत छलीह मगर पति हुनका सदैव संग देलखिन्ह। वो इहो कहलन्हि जे वियाहक बाद एकटा व्यक्ति सिन्हा साहब सँ कहलन्हि - केहन लोक छी आहाँ, जे अपन पत्नीकेँ नचाबैत - गबाबैत छी।  एकरा किछुए दिनक बाद जखन जै-जै भैरवी असुर भयाउनि गीत लोकप्रिय भेल तँ वैह व्यक्ति शारदा सिन्हाकेँ  देवी कहलाह। अहि साक्षात्कारमे शारदा सिन्हा जी कहलन्हि - अगिला जन्म सेहो हम शारदा सिन्हाक रूपमे लेबए चाहब।

शारदा सिन्हा जे गौलन्हि तकरा ताउम्र जीलन्हि सेहो, तैं हिनक गीत मिठ्ठ, सच्च आ सोहन गर लगैत अछि, मनमे उतरि जाएत अछि। इ एकटा अजीब संयोग छैक जे दुनिया भरिमे छठिक गीतसँ गुंजमान करै बाली शारदा जी अपने कहियो छठि पावनि नहि केलीह। वो कहैत छलीह जे ''छठिक गीते हमर अर्घ्य अछि।  हमरा एहि  बातक संतोष अछि जे हमर गीत लोककेँ  छठि पावनि सँ  जोड़ैत अछि। हम एकरे अपन जबाबदेहिक रूपमे लैत छी। हमर इच्छा अछि जे जहिया धरि संभव होइक हम छठिक गीत गाबि अपन जिमेदारी निभाबी। आ वो एकरा बखूबी निभौलन्हि सेहो । कैंसरक जंग लड़ैत दिल्लीक एम्स सँ वो अपन अंतिम छठिक गीत रिलीज केलन्हि - दुखवा मिटाई छठी मइया...।

साल 2017 सँ मल्टीपल मायलोमा सँ  जूझि  रहल छलीह शारदा सिन्हा  --शारदा सिन्हाक आधिकारिक यूट्यूब चैनल पर हुनकें द्वारा  गाओल गीतदुखवा मिटाईं छठी मईयांएक दिन पहिने देल गेल छल। गीत कदाचित हुनकर  मनःस्थितिके  दर्शाबैत छल, जखन वो खराब स्वास्थ्य सँ जूझि  रहल छलीह एम्सक एकटा अधिकारी बतौलन्हि, ‘शारदा सिन्हाक सेप्टीसीमियाक कारणरिफ्रैक्टरी शॉक चलते 5 नवम्बर 2024 राति नौ बाजि ' 20 मिनट पर निधन ' गेलन्हिसिन्हाकेँ पछिला मास एम्सक कैंसर संस्थान, इंस्टीट्यूट रोटरी कैंसर हॉस्पिटलक  (आईआरसीएच) गहन देखभाल इकाईमे भर्ती  कराओल गेल छलन्हि। शारदा सिन्हा साल 2017 सँ मल्टीपल मायलोमा सँ जूझि रहल छलीह किछु मास  पहिने हुनकर पतिक निधन सेहो ' गेल  रहन्हि। छठि पावनिक नहाय खायक दिन बिहार कोकिलाक रूपमे प्रसिद्ध गायक डॉ. शारदा सिन्हा एहि दुनियां सँ विदा ' लेलन्हि। हिनकर निधन पर बिहार मिथिला समेत पूरा भारत शोक संतप्त ' गेल छल।

देशभरि सँ शोक सन्देशक ताँता लागि गेल  जाहिमे ---

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी प्रख्यात लोक गायिका शारदा सिन्हाक निधन पर शोक जतौलन्हि आ कहलन्हि जे '' हिनकर जाएब संगीत जगतक लेल एकटा अपूरणीय क्षति अछि। प्रधानमंत्री मोदी 'एक्स' पर सेहो एकटा पोस्टमे कहलन्हि, 'सुप्रसिद्ध लोक गायिका शारदा सिन्हा जीकेँ निधन सँ अत्यंत दुख भेल। हिनकर गाओल  मैथिली आ भोजपुरीक लोकगीत पछिला  कतेको  दशक सँ बड्ड बेसी लोकप्रिय रहल अछि।' वो कहलाह, 'आस्थाक महापर्व छठि सँ  जुड़ल हिनक सुमधुर गीत सबहुँक गूंज सेहो सदैव बनल रहत । शोकक एहि घड़ीमे हमर संवेदना हिनकर परिजन आ  प्रशंसकक सबहुँक संग अछि। ओम शांति!'

राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू सेहो प्रख्यात लोक गायिका शारदा सिन्हाकें निधन पर शोक जतौलन्हि आ कहलन्हि जे हिनकर सुमधुर गायन अमर रहत।  मुर्मू जी ‘एक्स पर लिखलन्हि , 'बिहार कोकिलाक रूपमे प्रसिद्ध गायिका डॉक्टर शारदा सिन्हा जीक निधनक समाचार अत्यंत दुखद अछि। बिहारक लोकगीतकें मैथिली आ  भोजपुरीमे अपन मधुर आवाज़ द' क' शारदा सिन्हा जी संगीत जगतमे अपार लोकप्रियता पौलन्हि ' वो लिखलन्हि , 'आइ छठि पूजाक दिन हिनकर मधुर गीत देश-विदेशमे भक्तिक अलौकिक वातावरण बना रहल हएत।हुनका वर्ष 2018 मे कलाक क्षेत्रमे पद्म भूषण सँ सेहो सम्मानितकएल गेल छल। हिनक सुमधुर गायन अमर रहत। हम हिनका परिवारजन आ प्रशंसककेँ प्रति गहन शोक-संवेदना व्यक्त करैत छी।'

हमरा दिससँ एहि स्वरकोकिला,मिट्ठ बजनिहारि, मिथिलाक दुल्लरि बेटी, जनजनक प्रिय, चिरकाल धरि नहि बिसरबा योग्य, पद्म भूषण डॉ शारदा सिन्हा जीकेँ हृदयसँ श्रद्धांजलि, पुष्पांजलि समर्पित अछि।

 

@संजय झा 'नागदह'

 इ आलेख 'समय संकेत' नामक स्मारिका 2024 मे छपल छल। आभार,अखिल भारतीय मिथिला संघक समस्त स्मारिका संपादक मंडलकें। 


बीहनि कथा - चुप्प नै रहल भेल ?

रातुक बारह बजे कनियां सं फोन पर बतियाइत छत पर गेलौं कि देखैत छी आगि लागल। जोर सं हल्ला कैल हौ तेजन हौ तेजन रौ हेमन .. अपन पित्तियौत भैयारी स...

आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी