
रविवार, 3 अगस्त 2025
महामहोपाध्याय गंगानाथ झाक “कवि रहस्य’क मैथिली अनुवाद : अश्विनी कुमार तिवारी

महामहोपाधयाय सर गंगानाथ झा लिखित कवि रहस्यक, मैथिली अनुवाद हमर सिनेही संजय झा नागदह जीक
हम जखन कखनो अपन कोनो प्रोजेक्टपर जाएत छी त’ यात्रामे कुनो ने कुनो पोथी पढ़ैत छी । दू दिन पहिले चतुर्थ आयाम उपन्यास इ नमोनाथ जी लिखितक हिंदी अनुवाद आदरणीय सियाराम झा सरस जीक द्वारा पठाओल गेल छल, पढलहुँ, नीक उपन्यास धरतीसँ ब्रह्मांड धरिक कथामे संयोजन , विज्ञान , अंतरिक्षक रुचिगर , बान्हल उपन्यास । पाठककेर इतिसँ अंत धरि बन्हबामे पूर्ण रुपेण सुफल । एकटा उद्योगपतिक व्यापारिक यात्रा , परिवारिक संबंध , पति पत्नीक पारस्परिक विश्वास , अन्ततोगत्वा संन्यासी बनब , यथार्थक चित्रण करबामे लेखक सुफल रहलाह । मुख्य पात्र दारुका जी जे थ्री डी नामसँ प्रसिद्ध, हुनक अपन अर्द्धांगिनीक लेल सभ किछु समर्पित, जकरा प्रेमसँ किछु आओर कहि परिभाषित करब अतिशयोक्ति नहि, एहेन प्रेम कमे देखल जाएत छैक, ओ अपन पत्नीक सहपाठीकेर अपन व्यापारिक साम्राज्यमे दोसर स्थान देलाह, हुनक अपन मिथिलानी पत्नी अनुपमा साहू, जकरा ओ अनु कहि सम्बोधित करैत छथि, अनुकेँ लेल ओ सभकिछु त्यागै लेल तैयार , हुनक ख़ुशीमे दारुकाजीक खुशी, सायते संभव भ’ सकैत अछि , मुदा की ओ पत्नी हुनको लेल ओतबे समर्पित छली एहि उपन्यासक’ जखन पढब तखन पता लागत । की नायिका अनु अपन सहपाठी दीपक ढोलकिया जी लेल किछु मोनमे रखैत छथि ?ढोलकिया जी अपन सचिव रेखा भटनागर जी लेल हिया हारल, की रेखाक मोनमे हुनक स्थान छैक आकि बस व्यक्तिगत किछो नहि ….
शनिवार, 2 अगस्त 2025
कवि रहस्य - पाठक लोकनिक संक्षित टिप्पणी
![]() |
श्री उदय चन्द्र झा विनोद |
![]() |
श्री सुनीत ठाकुर आ संजय झा नागदह |


बड नीक पोथी अछि अद्भुत वर्णन अनुवाद वाह काल्हि हमरा संजय झा जी भेटि केलनि महेन्द्र मलंगिया सर आ विभूति आनन्द सर नेपालक पुर्व उप प्रधानमंत्री राजेन्द्र महतो सर आओर वरिष्ठ साहित्यकार लोकनिक जे हमरासँ भेट करै चाहैत छलखिन्ह आहो भाग्य हमर भैटघाट गपशप भेलि हिनक लोकनिक फैन हम स्वंग छी
श्री हर्ष आचार्य - १७-११-२०२१
महामहोपाध्याय सर गंगानाथ झा जी द्वारा लिखित "कवि रहस्य" जेकर मैथिली अनुवाद आदरणीय Sanjay Jha भैया द्वारा कैल गेल पोथी आई प्राप्त भेल। विषय-वस्तु पढ़ी अवलोकनक संग एक बेर फेर उपस्थित भs सब टा सार संक्षिप्त में प्रस्तुत करब। - रौशन मैथिल 22-07-2021
![]() |
श्री अमर जी झा |

कविरहस्य केर मैथिली अनुवादक आ हमर परम मित्र श्रीमान संजय बाबू के प्रकट दिवसक ढाकिए सूपे बधाई
शुक्रवार, 1 अगस्त 2025
महामहोपाध्याय गंगानाथ झाक “कवि रहस्य’क मैथिली अनुवाद : भास्करानन्द झा भास्कर
भूमंडलीकरण एवं मीडियाक प्रभावक कारण आजुक समयमे अनुवाद, विशेषत: अनुवाद साहित्यक महत्व किछु बेसी बढि गेल अछि । कोनो भाषा, साहित्य ओ संस्कृतिकें जीबंत आ विकासोन्मुखी बनाकए रखबाक लेल अनुवाद वस्तुत: एकटा सशक्त माध्यम बनि गेल अछि । वैश्विक ग्रामक संकल्पना संसारक समस्त साहित्यकें अनुवाद केर माध्यमसँ एक दोसराकें सम्पर्कमे आनि रहल अछि । वैश्विक स्तर पर अनुवादक बढैत लोकप्रियताकें देखैत आई समस्त विश्वविद्यालयमे अनुवाद अध्ययन एकटा विषय / डिसीप्लीनक रुपमे पढाओल जा रहल अछि । साहित्यिक अनुवादक क्षेत्रमे साहित्य अकादमी, नेशनल बुक ट्रस्ट, केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान (सीआईआईएल), मैसूर, नेशनल ट्रांस्लेशन मिशन आदि सहित कैकटा अनुवाद संस्थान सेहो कार्य क’
रहल अछि ।
अनुवाद आ ओहो साहित्यिक अनुवाद अत्यंत चुनौतीपूर्ण आ कठिन काज थिक । साहित्यिक अनुवाद भाषाक नहि भावक होयत अछि आ ताहि लेल अनुवादकमे भाषिक विलक्षणताक संग संग भावभूमिक भरल पूरल चास होयबाक चाही । समीक्षगत पोथीमे ई दुनु गुण ओ विशेषता संजयजीमे परिलक्षित भ’ रहल अछि । हुनक अनुवादक भाषा आ शैली प्रभाव्य अछि । दर्शन, काव्य आदि संबंधी संकल्पनाक दुरूह अभिव्यंजनाकें अतेक सहज ओ सुंदर ढंगसँ अभिव्यक्त कयने छथि जे लगैत अछि कि हम मैथिलीक कोनो मूल पोथी पढि रहल छी ।
अनुवादक- संजय झा 'नागदह'
प्रकाशक- नवारंभ
मूल्य- 200 टका
समीक्षक : भास्करानन्द झा भास्कर
चलंत : 09432386278
बीहनि कथा - चुप्प नै रहल भेल ?
रातुक बारह बजे कनियां सं फोन पर बतियाइत छत पर गेलौं कि देखैत छी आगि लागल। जोर सं हल्ला कैल हौ तेजन हौ तेजन रौ हेमन .. अपन पित्तियौत भैयारी स...
आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी
-
मिथिलाक एकटा प्राचीन, सांस्कृतिक धरोहर सँ भरल पुरल गाम—जाहिठाम आइयो परंपरा ओहिना जीवित अछि, जेना पुरखा लोकनिक समयमे। एहि गाममे रहैत छलाह ठा...
-
रातुक बारह बजे कनियां सं फोन पर बतियाइत छत पर गेलौं कि देखैत छी आगि लागल। जोर सं हल्ला कैल हौ तेजन हौ तेजन रौ हेमन .. अपन पित्तियौत भैयारी स...