शुक्रवार, 1 अगस्त 2025

अनुशासन

चाहे होथि धनाढ्यक संतति
वा कि निर्धनकेँ होए
अनुशासन बिना शिक्षाकेँ
एक रति नञि मोल।
बिना नूनकेँ तीमन तरकारी
जहिना रहैछ बेसुआद
तहिना अनुशासन ओ संस्कार बिन
शिक्षितोंमें देखना जाइत अभाव।
अशिक्षितों संस्कार संग
भेटत जखन ठाढ़
मोन देखि होइत अछि पुलकित
हृदय उठैत अछि सिनेहक बाढ़ि।
शिक्षाक संग संस्कारोमे
देल करु उचित मात्रामे नून
तखन देखब कियो नञि कहत
सभा मध्य अहाँकेँ मधनून।
@ संजय झा 'नागदह’

30-12-2024

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

समयक हस्ताक्षरः शेफालिका वर्मा

  आज मेरे पास एक अद्वितीय पुस्तक आई है—*समयक हस्ताक्षरः शेफालिका वर्मा* (मैथिली संस्करण), जिसे संकलित किया है श्रीमती कुमकुम झा एवं श्री राज...

आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी