चिरंचिवी मनीष झा "बौआ भाई " के द्वारा लिखल "नीक - बजाय " (मैथिली कविता संग्रह) पुस्तक काल्हि मैथिली साहित्य महासभा स्थापना समारोह में भेंट स्वरुप भेटल . संगहि एकटा स्मारिका (सरस्वती पूजा महोत्सव -२०१५) विद्यापति मैथिल युवा मंच (पंजी) सेहओ भेटल जाहि में हमरो द्वारा लिखल "मिथिला में पोखरिक इतिहास " के स्थान भेटल अछि. चिरंचिवी "बौआ भाई " के सस्नेह आशीर्वाद जे हुनक कृति सेहो चिरंजीव होइन्ह एहि हेतु अनेकानेक शुभकामना. संगहि आगामी स्मारिका लेल सेहो आग्रह केलाह . हमर पूर्ण प्रयास रहत जे हम किछु लिख जरूर पठाबी एहि लेल हमहुँ अपन अग्रज आ बुजुर्ग साहित्यकार लोकनि सँ आशीर्वादक आकांछी छी -सहर्ष धन्यवाद
No comments:
Post a Comment