रविवार, 17 जनवरी 2016

क्षण -क्षण हुनके पर ध्यान सतत

अछि प्रेम कतेक 
हम की कहु ?
क्षण -क्षण हुनके पर ध्यान सतत 
चाहे बाट चलु
या हाट रहु
क्षण -क्षण हुनके पर ध्यान सतत
हुनका बारे में फोन करि
कखनो हुनका - कखनो हुनका
कियो चिंतित
कियो बेखबर 
क्षण - क्षण हुनके पर ध्यान सतत
कियो ऐना , कियो ओना कहथि
कियो कहथि फुइस अछि 
प्रेम अहाँक 
कियो कहथि किया ऐना डुबल छी ? 
कि ओ अहाँके एकसर छी ?
हम चौंक गेलहुँ 
इ कि कहला ?
कहला त' सत्य
अपितु किछु नहि
मुदा करू क़ी ?
किछु नहि सूझि रहल 
क्षण - क्षण हुनके पर ध्यान सतत
हुनके धरती पर जनमल छी 
हुनके कोरा में पलल छी 
भाषा सेहो - अछि हुनके 
क्षण - क्षण हुनके पर ध्यान सतत
अछि अंतिम इच्छा एतवे हम्मर 
जौं प्राण देह सँ कखनो निकलय
माँ मैथिलीके हमरे सप्पत 
हुनके कोरा में प्राण छुटय
अछि अभिलाषा सदिखन एहने 
क्षण - क्षण हुनके पर ध्यान सतत
अछि प्रेम कतेक 
हम की कहु ?
क्षण - क्षण हुनके पर ध्यान सतत....

संजय झा "नागदह" 
27 /07 /2014

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

बीहनि कथा - चुप्प नै रहल भेल ?

रातुक बारह बजे कनियां सं फोन पर बतियाइत छत पर गेलौं कि देखैत छी आगि लागल। जोर सं हल्ला कैल हौ तेजन हौ तेजन रौ हेमन .. अपन पित्तियौत भैयारी स...

आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी