जकरे देह में आगि लगैत छैक सैह ने जड़ैत अछि - कनि ध्यान सँ पढब.
----------------------------------------------------------------------------------------
एक दिन दू आदमी के झगड़ा होइत रहैक। जकर गलती रहइ से ओहि ठाम उपस्थित लोक के कहय - जे एकर बात पर (जकरा सँ झगड़ा होइत रहैक तकरा बारे में ) हमरा देह में आगि लागि जाइत अछि। ओहि लोकक बीच में एकटा पंडीजी सेहो रहथि , ओ कहनलनि बौआ जकरे देह में आगि लगैत छैक सैह ने जड़ैत अछि। इ बात इ कतेको बेर कहलाह आ जिनका कहथि ओ बेर बेर एकेटा बात कहथि - हमरा देह में आगि लागि जाइत अछि। पंडीजी बाद में ओहि ठाम सँ चलि गेलाह।
------------संजय झा "नागदह"
05/07/2014
No comments:
Post a Comment