रविवार, 17 जनवरी 2016

ओहिना नै होइत छैक

ओहिना नै होइत छैक 
अन्हरिया में इजोत करबाक लेल 
दिया में तेल आ बाती के 
संगे जरय पड़ैत छैक 
किछु पाबक लेल 
किछु त्याग करहे पड़ैत छैक
ओहिना नै होइत छैक

भारतो आज़ाद भेल 
कियो देखनहुँ हेताह
कियो सुनलो हेताह 
लोक एकजुटता लेल 
हल्ला करहे पड़ैत छैक 
किछु पावक लेल 
ओकरा पाछा परहे पड़ैत छैक 
ओहिना नै होइत छैक

देखने हेबैक प्रायः सब गोटा
भिखमंगो के खाली कटोरा में 
भीखो कियो नहि दैत छैक 
ओकरो पहिले कटोरा में 
किछु राखहे पड़ैत छैक 
मिथिला राज्यक बात के लेल 
अलख जगाबहे पड़त
सरकार के देखाबहे पड़त 
मंगला सँ नहि 
आई- काल्हि छीन्हे पड़ैत छैक 
ओहिना नै होइत छैक

संजय झा "नागदह"
Date - 20/07/2014

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

समयक हस्ताक्षरः शेफालिका वर्मा

  आज मेरे पास एक अद्वितीय पुस्तक आई है—*समयक हस्ताक्षरः शेफालिका वर्मा* (मैथिली संस्करण), जिसे संकलित किया है श्रीमती कुमकुम झा एवं श्री राज...

आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी