शनिवार, 16 जनवरी 2016

नव कुलदीपकक संकेत


सपनेहुँ देखल एक झलक 
पट सुति पैर हिलाए रहल 

पुनि जिज्ञासा आर बढ़ल
देखहुँ मुख कुल तारिणी 

जिज्ञासा हहृदयक बुझि कुल दीपक 
ठाढ़ होइत पूर्ण स्वरुप देखाओल

गोर वर्ण देह छरहरा 
कोमल - कोमल अंग 

हाथ - पैर हिलाई रहल 
मंद - मंद मुस्काई रहल 

ठाढ़ नाक आ आँखि डोका सन
स्वपनहि संग खेलाइ रहल

झलक देखाई पुनि चलि गेल 
कृष्ण बाल रूपमे मटकी देल 

मन आनंदित आँखि खुजि गेल 
नव कुलदीपकक संकेत सन बुझना गेल

रवि दिन ०८ /०२/२०१५

08 फरवरी 2015 क' सपनामे देखल अपन अजन्मा भातिजकेँ  जकर जन्म 08 -03-2015 क' भेलैक। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

समयक हस्ताक्षरः शेफालिका वर्मा

  आज मेरे पास एक अद्वितीय पुस्तक आई है—*समयक हस्ताक्षरः शेफालिका वर्मा* (मैथिली संस्करण), जिसे संकलित किया है श्रीमती कुमकुम झा एवं श्री राज...

आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी