संपन्न भेल मिरानिसे कें ’दिल्ली कार्यकर्ता सम्मेलन’
दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः भारतक राजधानी दिल्ली में मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा आयोजित गांधी शांति प्रतिष्ठान में कार्यकर्ता सम्मेलन काएल गेल जाहिमें बेसी सं़ख्या में मैथिल लोकनि उपस्थिति रहलनि। कार्यक्रमक शुभारंभ नवोदित बाल गायिका मैथिली ठाकुर अपन मिठगर स्वर सं मिथिलाक प्र्रिसद्ध पारंपरिक गोसाउनिक गीत ’जय जय भैरवि असुर भयाउनि’ सं कयलनि।एहि कार्यक्रम कें मिथिला राज्य निर्माण सेना के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्याम झा अपन अध्यक्षीय भाषण में संस्थाक कार्यकर्ता लोकनि कें संबोधित करैत कहलनि जे ”संस्थाक कार्यकर्ता लोकनि कें अपन उद्देश्यक प्रप्तिक लेल अनुशासनक संग-संग संगठनात्मक नियम-कायदाक पालन करैत आगा बढ़बाक चाहि तखने हमरालोकनि लक्ष्य कें प्राप्ति कय सकै छी अन्यथा नय तंय अनुशासन कें पालन करैत ज्यौ चलब तऽ मिथिला राज्य निर्माण निश्चितरूपहि बनबेटा करतै।”,
वरिष्ठ कार्यकर्ता हेमंत झा मिरानिसेक इतिहास आ ओकर विकास कें बारे में नव कार्यकर्ता लोकनि के जानकारी देलथिन। तहिना विजय झा कार्यकर्ता कें अपन माटि- पानि सं जुड़ल आ बिसरल शब्दक मादे प्रोत्साहित केलनि। संजय कुमार मंडल मिथिला राज्य किएक? पर विस्तार सं प्रकाश देलनि एवं युवा अनूप मैथिल सेहो आंदोलनक आगामी रूपरेखा पर चर्चा करैति कहलनि जे ”हमर आगामी कार्य मिथिला के समस्त रेलवे स्टेशन पर मैथिली में उद्घोषणाक व्यवस्था करेबाक लेल, टेलिकाॅम विभाग सं मैथिली में मोबाइल पर जानकारी देबाक व्यवस्था आदिक योजना अछि।
अधयक्ष महोद्यक सांनिध्य में क्रमशः दिल्ली इकाई के अध्यक्ष संजय झा ’नागदह’ एवं राष्ट्रीय महिला अध्यक्षा सुधा झाक नामक औपचारिक घोषणा सेहो कएल गेल। संजय झा ’नागदह’ अध्यक्षक भार लेलाक उपरांत कार्यकर्ता लोकनि के संबोधित करैत कहलनि जे ”एहि छोटसन कार्यकर्ता कें एतेक पैघ भार देलनि अहि ताहि लेल हम मिरानिसेक आभारी छियैन। मिरानिसेक एहि विश्वास कें हम सतत् बना कय रखब।” कवीश्वर चंदा झा कृत”मिथिला रामायण’क“ यूनिकोडीकरणक शुभारंभ संजीव सिन्हा द्वारा कएल गेल। अंत में कार्यक्रमक समापन कमलेश मिश्रक द्वारा धन्यवाद ज्ञापन दय कएल गेल। मंच कें संचालन अमरनाथ झाक केलनि।
No comments:
Post a Comment