शनिवार, 16 जनवरी 2016

एक जुट होउ मिथिलावासी, तखनहि बनत मिथिला राज्य

एक जुट होउ मिथिलावासी, तखनहि बनत मिथिला राज्य 
आ नहीं, त अपने में होईत रहु विभाज्य ।  

आ करैत रहु, हमरा चाही मिथिला राज्य 
हमरा चाही मिथिला राज्य, हमरा चाही मिथिला राज्य। 

मिथिला के भविष्य त, उठाये लेने छथि जगदीश 
आबो त सब मिलि - जुलि क, हाथ जोड़ी नवाऊ शीश । 

जतेक संघ आ पार्टी, सब अपने -अपने करैत रहु तीन - पांच 
ऐना जां करैत रहब,  त कखनो नै मिळत घांच । 

बेसी हम की कहु, अपने सब छि बड्ड बुझनुक 
कनी ओहो, कनी तोंहू, कनि कनिक सब झुक । 

जे सब एहि काज में झुकबहक, तकरे नाम उठ त'
आ नहि, त सबटा कबिलपंथी घुसरि जे त' । 

एतै कियो वीर बहादुर, सब के कर जोड़ी निहोरा करत 
आ मिथिला के लोक के, एक जुट करैत, राज्य बनेबे टा करत । 

फेर पुछै छि, बात बुझै छि ? केना बनेबई मिथिला राज्य 
एक जुट होउ मिथिलावासी, तखनहि बनत मिथिला राज्य।  

संजय कुमार झा "नागदह"  

01/09/2013

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

बीहनि कथा - चुप्प नै रहल भेल ?

रातुक बारह बजे कनियां सं फोन पर बतियाइत छत पर गेलौं कि देखैत छी आगि लागल। जोर सं हल्ला कैल हौ तेजन हौ तेजन रौ हेमन .. अपन पित्तियौत भैयारी स...

आहाँ सभक बेसी पसन्द कएल - आलेख /कविता /कहानी