डी.एल.एफ गाजियाबाद में संपन्न भेल विद्यापति पर्व समारोह
दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः कवि विद्यापतिक स्मृति में देशक कोना-कोना में रहि रहल प्रवासी मैथिल होइ मिथिला में रहि रहल मैथिल सभ मिलजुलि कय नानान तरहक कार्यक्रम कें आयोजन करैत रहैत छैथ। अहि तरहक संस्थाक मुख्य उद्देश्य अपन मिथिलाक धरोहर कें जीवंत रखवाक लेल संगहि पारंपरिक लोकगीत संगीत के मादे मैथिलजन मानस में अपन भाषा कें प्रति लगाव बढेबाक लेल होइत अछि। शनिदिन राति में मिथिलांचल-पूर्वांचाल सहयोग समिति, के द्वारा पहिल बेर ’विद्यापति पर्व समारोह के आयोजन डी. एल. एफ गाजियाबाद में कायल गेल।
कार्यक्रमक शुरूआत आमंत्रित अतिथि लोकनि कें द्वारा दीप प्रज्वलित एवं पुष्प अर्पित कय कयल गेल। सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुरूआत प्रसिद्व गायक शंकर झा द्वारा गोसाउनिक गीत सं भेल। ताहिक उपरांत मिथिला के सं एक सं बढि कय एक कलाकार द्वारा गीतक प्रस्तुति देल गेल जाहिमें दिलीप दरभंगिया, कुमकुम, आ अन्य लोकनि छलाह। मंच के संचालन उदघोषक राघे भाई कय रहल छलाह। बीच-बीच में संस्था कें द्वारा आमंत्रित अतिथि के सम्मानित सेहो कयल जाएत रहल। पृथक मिथिलाराज्य के मांग कय रहल सेनानी लोकनि कें सेहो सम्मानित कयल गेलनि जाहिमें संजय झा ’नागदह’, अमरनाथ झा, संजीव सिन्हा, हेमंत झा आदि छलथि। एहि कार्यक्रम के अध्यक्ष, रंजीत कुमार झा, संरक्षक, ललित कुमार चैधरी, महासचिव, धीरेंद्र कुमार मिश्र, कोषाध्यक्ष, रतीश चन्द्र झा एवं अन्य सदस्य लोकनिक भरपूर सहयोग रहनि।

http://www.mithilamirror.com/news-detail.php?id=352
No comments:
Post a Comment